
तर्ज---रुपैया पैसा सोना चांदी
सब भक्त के घर मे मैया धन बरसाबु ये,
हे मईया टाटा और अंबानी जकाँ,
हमरो बनाबू ये....
सबके डॉलर दियो,
हमरा पोंड्स दिय,
कतौ हम कैस करेली,
माँ एहेन बॉन्ड दिय,
स्वीस बैंक म हमरो माँ,
खाता खोलबाबू ये,
मैया टाटा और अंबानी जकाँ....
बनाऊ किरकेटर एहेन,
सचिन तेन्दुलकर जेहेन,
देस क नाम करि हम,
बिराट कोहली जेहेन,
धोनी वला छक्का हमरो स लगबाबू ये,
है मईया टाटा और अंबानी....
अहा छि सबहक माता,
हम छि आहा के बेटा,
दया करियो माँ अम्बे,
बैन जाऊ हमहू नेता,
हमरो पर कनी एकबेर माँ,
नजैर फिराबु ये,
हे मईया टाटा और अम्बानी....
श्री दुर्गा मिउजिक मैया,
आहाँ के बिनती करइये,
अहि के ध्यान धरइये,
अहिके गुणगान करइये,
भजन गबैये प्यासा,
कनी किरपा बरसाबु ये,
है मैया टाटा और अम्बानी जकाँ.....
हिंदी · Read on Bhajan Baan
Share this bhajan with your family
Send it to your satsang group before kirtan so everyone has the words.
